सीतापुष्पवाटिकाक मौन पीड़ा आ जनकपुरक सीमित परम्परा : “विवाहपञ्चमीक सांस्कृतिक संकुचन”

कार्तिक १७, जनकपुरधाम। ✍️ मुरली मनोहर मिश्र,
(जनकपुर नागरिक समाज, जनकपुरधाम, धनुषा, नेपाल)

जनकपुरधाम केवल एक नगर नैइ, यी मिथिलाक आत्मा अछि। एहि भूमिकेँ जनक आ सीताक कथा सँ सजल गेल अछि, जतए धरतीक कोख सँ जन्म लऽ सीता नारी आदर्शक प्रतिमूर्ति बनली आ जनकपुरक नाम अमर भ’ गेल। मुदा विडम्बना यी अछि जे आइ जनकपुरधामक एहि सांस्कृतिक गौरवक केन्द्र ‘सीतापुष्पवाटिका’ केँ विवाहपञ्चमी महोत्सवक सूची सँ बाहर राखल गेल अछि।

एहि निर्णयकेँ केवल एक आयोजनक फेरबदल बुझनाइ भूल होएत। यी त एक परम्परा-संकोचनक संकेत अछि, जाहि सँ मिथिला संस्कृतिक आत्मीय स्वर मौन भ’ रहल अछि।

१. ऐतिहासिक सन्दर्भ आ पवित्र स्थलक महत्व:

‘सीतापुष्पवाटिका’ ओ स्थल अछि जतए प्रथम बेर राम आ सीता केर भेट भेल। ओहि क्षण सँ जनकपुर आ अयोध्याक सम्बन्ध न केवल पारिवारिक, बल्कि आध्यात्मिक एकताक प्रतीक बनि गेल।

विवाहपञ्चमी पर्वक असली स्वरूप तखन पूर्ण होइत अछि, जखन जनकपुरधामक सम्पूर्ण धार्मिक स्थल जानकी मन्दिर, मणिमण्डप, धनुषाधाम आ सीतापुष्पवाटिका एक सूत्रमे आबि जाय। एहि चारि केन्द्रक समावेशे जनकपुरक गौरव केँ सम्पूर्णता दैत अछि।

२. वर्तमान स्थिति : सीमित परम्पराक त्रासदी

अहि वर्षक २०८२/2025 विवाहपञ्चमी कार्यक्रम केवल जानकी मन्दिरक चारदीवारीमे सीमित राखल गेल अछि। दोसर शब्दमे कहल जाय त, “विवाहपञ्चमी केबल मन्दिरक उत्सव नैइ, यी त सम्पूर्ण जनकपुरधामक आत्मा अछि।”

एहि सीमांकनक कारणेँ सांस्कृतिक परिधि सिमटैत जा रहल अछि। मणिमण्डप क्षेत्र, जतए एक समय राजा जनक आ अयोध्यावासी सभक भव्य स्वागत भेल छल, आइ TikTok मनोरंजनक केन्द्र बनि गेल अछि।

यी धार्मिक अस्मिताक ह्रास आ सांस्कृतिक असंवेदनशीलताक उदाहरण अछि।

३. आलोचनात्मक दृष्टिकोण : प्रशासनिक उदासीनता आ सांस्कृतिक विस्मृति

* जनकपुरधामक प्रशासन धार्मिक स्थलसभक संरक्षणकेँ केवल औपचारिकता बुझैत अछि। सांस्कृतिक महोत्सव सभ ‘इवेन्ट’ बनि गेल अछि तथा जनसहभागिता आ श्रद्धाभावक स्थान घटैत जा रहल अछि।

* आधुनिक प्रचार माध्यम, खास क’ सोशल मिडियाक प्रभाव, धार्मिक स्थलसभक मर्यादाकेँ क्षति पहुँचा रहल अछि।

* मिथिला समाजक शिक्षित वर्ग सेहो अपन सांस्कृतिक अधिकार प्रति मौन अछि, जे ओतबे चिन्ताजनक अछि।

४. पुनर्जीवनक प्रभावकारी उपाय:

* समावेशी विवाहपञ्चमी कार्यक्रम समिति जेनाकि जानकी मन्दिर, धनुषाधाम, मणिमण्डप आ सीतापुष्पवाटिकाक प्रतिनिधि समावेश होय।

* सांस्कृतिक मार्ग (Cultural Circuit) विवाहपञ्चमी यात्रा लेल एक धार्मिक परिक्रमा-मार्ग तय कयल जाय, जाहि मे चारि प्रमुख स्थल आवे।

* संरक्षण आ सौन्दर्यीकरण अभियान, सितापुष्पवाटिका आ मणिमण्डपमे धार्मिक उद्यान, मूर्तिकला आ प्रकाशव्यवस्था पुनः स्थापित होय।

* टिकटोक आ व्यावसायिक उपयोग पर नियन्त्रण — प्रशासनिक स्तर पर धार्मिक स्थलमे मनोरंजनात्मक शूट पर प्रतिबन्ध लगाओल जाय।

* जनजागरण आ शिक्षा अभियान जेनाकी विद्यालय आ विश्वविद्यालय स्तर पर मिथिला इतिहास आ विवाहपञ्चमीक सांस्कृतिक महत्त्वक पाठ समावेश होय।

५. निष्कर्ष : मिथिलाक चेतनास्वर पुनर्जागृत होय

विवाहपञ्चमी केवल राम-सीताक विवाहक कथा नैइ, यी त मिथिला आ अयोध्याक आत्मीय एकता, श्रद्धा आ प्रेमक प्रतीक अछि। अगर यी पर्व केवल मन्दिरक परिधिमे सिमटि जायत, त जनकपुरधाम’क ऐतिहासिक आत्मा मुरझा जायत।
अतः आब आवश्यक अछि जे सम्पूर्ण मिथिला एक स्वरमे कहय

“सीतापुष्पवाटिकाक मौन केँ आवाज दिअ, मणिमण्डपक मर्यादाक रक्षा कर, आ जनकपुरधाम’क सांस्कृतिक आत्मा केँ पुनः जागृत कर।”

सल्लाह, सुझाव एवं प्रतिक्रिया अपेक्षित :
📧 murli.civilsociety@gmail.com

  • सम्बन्धित समाचारहरु

    नेपालमा निजी विद्यालयहरूको योगदान र वर्तमान बहस

    Read more

    आधुनिकता र परम्पराको संगम : बालेनको सपथ र सांस्कृतिक सन्देश

    Read more